डीएमसीकें स्थापना दिवस समारोहमे विभिन्न प्रतियोगिताक आयोजन

    0
    263

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगाक केन्द्रीय पुस्तकालयकें नव भवनमे सोमदिन डीएमसीकें स्थापना दिवस समारोह पर बहुत रास प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल। सब प्रतियोगिता छात्राक बीच आयोजित कएल गेल छल। मेंहदी प्रतियोगितामे प्रथम स्थान 16’म बैचक श्रेयाकें भेटलनि। दोसर स्थान पर 15’म बैचक प्रेमलता रहलीह। जहन कि तेसर स्थान पर 15’म बैचकें नेहा गुप्ता रहलीह।

    रंगोली प्रतियोगितामे कोनो प्रतिभागी तय समय पर रंगोली पूरा नहि कय सकलीह। अहि दुआरे कोनो प्रतिभागीकें सफल घोषित नहि कएल गेल। सब रंगोली स्वास्थ्य सुविधा, जन्म सं मृत्युके विषय पर अधारित छल। प्रतिभागीमे मधु, अफसाना, कोमल, पुर्णिमा, प्रिया, चांदनी आदि शामिल छलीह।

    पेंटिंग प्रतियोगितामे प्रथम दूकें 16’म अफसाना, दोसर स्थान पर मनीषा कुमारी आ तेसर स्थान पर संयुक्त रूप सं आस्था आ कोमल रहलीह। अहि आयोजनके संयोजक डॉ. रमण कुमार वर्मा आ डॉ. सुनीता त्रिपाठी छलीह। चयनकर्तामे डॉ. सवित्री ओझा, डॉ. शीला साहु आ डॉ. पुनम मिश्रा शामिल छलीह।