राजनगर-बेल्हवार सड़क पर जानलेवा बनल ई कदम्बक गाछ, भय चुकल अछि दर्जनो दुर्घटना

    0
    410

    मधुबनी, मिथिला मिरर: स्थानीय थाना क्षेत्र अंतर्गत राजनगर-मधुबनी आरडब्ल्यूडी मुख्य पथ पर बेल्हवार-परिहारपुर चौरकें बीच सड़क सं सटल स्थित कदम्बकें गाछ दुर्घटनाक कारण बनि चुकल अछि। अहि गाछ सं टकरा कय दर्जनो दू पहिया वाहन सवार दुर्घटनाग्रस्त भय अस्पताल पहुँच चुकल अछि। ओतहि अनेको चारि पहिया वाहन सवार उक्त गाछ सं टकरा कय दुर्घटनाक शिकार भेल अछि।

    ई दुर्घटना कुहेसक दिनमे अधिक भय जाइत अछि। परन्तु मधुबनी सं लौकहा स्थित भारत-नेपालक सीमा तथा फुलपरास स्थित फोर लेन सड़ककें जोड़य वला अहि महत्वपूर्ण सड़क पर चौबीस घंटा भारी व हल्लुक वाहनक आवाजाही लागल रहैत अछि। राजनगर-मधुबनी मुख्य पथकें चौड़ीकरण सं पूर्व ई गाछ अपेक्षाकृत कम चौड़ा हेबाक कारण सड़क सं तकरीबन चारि फुट उत्तर दिशामे स्थित छल। जाहि कारण उक्त कदम्बके गाछ सं कोनो प्रकारक नुकसान नहि होइत छल। परन्तु दशक पूर्व जहन उक्त सड़कक चौड़ाई बढ़ाओल गेल, त ई गाछ सड़कके ठीक बगलमे आबि गेल।

    जनहित सं जुड़ल अहि महत्वपूर्ण समस्या दिस ने विभागीय आलाधिकारीक ध्यान जा रहल अछि आ ने प्रशासनिक पदाधिकारीके।