भागलपुर मे जमीन व्यवसायी के गोली मारि कय हत्या

    0
    270

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर जिलाक अलग-अलग थाना क्षेत्र मे अपराधी एकटा प्रोपर्टी डीलर के गोली मारि कय हत्या कय देलक तथा एकटा रिक्शा चालक के गंभीर रुप सं घायल कय देलक अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार बताओल जा रहल अछि जे, सन्हौला थाना क्षेत्रक सन्हौला बाजार निवासी अशोक मंडल (40) सोमदिन राति अप्पन पत्नीक संग घरक निकट सत्संग सुनबाक लेल जा रहल छलाह। तखनहि पूर्व स घात लगा क बैसल तीन गोट अपराधी हुनका गोली मारि देलक। अहि घटना मे मंडल के मौका पर मौत भय गेल। मंडल जमीन खरीद-बिक्रीक धंधा करैत छलाह। थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। फिलहाल आरोपी फरार अछि। पुलिस आरोपि के गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कय रहल अछि।