दरभंगा न्यायालय परिसर’क सुरक्षा व्यवस्था चौकस कएल गेल

    0
    263

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दू गोट इंजीनियर हत्याकांडकें अभियुक्त संतोष झा सहित अन्यकें न्यायालयमे चलि रहल स्पीडी ट्रायलके अंतिम चरणमे पहुंचलाक संग न्यायालय परिसरक सुरक्षा व्यवस्था सख्त कय देल गेल। एसएसपी सत्यवीर सिंह सेामदिन दरभंगा न्यायालय परिसरक मुआयना कय सुरक्षा व्यवस्थाक जायजा लेलनि। अहि दौरान ओ पेशी हाजतकें गहन निरीक्षण केलनि। तैनात पुलिस कर्मी सं ओ बहुत रास जानकारी लेलनि।

    न्यायालय पेशी सं संबंधित पुस्तिका सं ओ कैदीक मिलान केलनि। हाजतके गेट व ग्रिल सहित देबालकें रोज गहन रूप सं से चेकिंग करबाक निर्देश देलनि। कैदीकें मंडल कारा सं अनबाक तथा लय जेबाक दौरान चौकसी बरतबाक लेल कहलनि। कैदी वैनके चालक व जवानकें ओ अपने बहुतो टिप्स देलनि।

    हाजत स्थित गेटके मरम्मत संबंधी काजक ओ काफी देर धरि अवलोकन केलनि। अहि दौरन ओ संवेदककें ठोस ढंग सं काज करबाक लेल कहलनि। मौका पर एएसपी दिलनवाज अहमद व बेनीपुर डीएसपी अंजनी कुमार सहित दर्जनो पुलिस जवान मौजूद छल।