एतय पत्नी द्वारा संपादित कायल जा रहल अछि पतिक श्राद्धकर्म

    0
    557

    अरेराज, मिथिला मिरर: बिहारक पूर्वी चंपारण के अरेराज मे नगर पंचायतक जनेरवा गाम मे एकटा स्त्री अप्पन पतिक श्राद्धकर्म कय मानव द्वारा बनाओल गेल समाजिक मिथ्या रिवाजक मुंह पर जोड़दार थापड़ लगौलनि। स्थानीय वार्ड पार्षद विजय तिवारी के अनुसार विगत बृहस्पति दिन बच्चा तिवारीक मौत भय गेल। कोनो संतान नहि रहलाक कारने मुखाग्नि देबाक लेल गाम मे भरि दिन राजनीति होईत रहल। मुदा कोनो पट्टीदार मुखाग्नि देबाक लेल तैयार नहि भेलाह, जकरा बाद बच्चा तिवारीक पत्नी जानकी देवी स्वं मुखाग्नि देबाक फैसला केलनि।

    रविदिन एकादशा कर्म पर पत्नी स्वं बैसि कय श्रद्धाक सब विधि के पुरा केलीह। श्राद्धकर्म करा रहल आचार्य मदनमोहन नाथ तिवारी एवं सुरेश तिवारी कहलनि जे, निर्णय सिन्धु तथा गरुड़ पुराण मे लिखल अछि जे घर मे कोनो सदस्य के नहि रहला पर पत्नी, पतिक श्राद्धकर्म कय सकैत छथि। अहि आधार पर ई श्राद्धकर्म कायल जा रहल अछि।

    ओतहि समाजसेवी दिनेश पाण्डेय, झुन्ना पाण्डेय, रामबाबू सिंह, अवधेश सिंह, राजकिशोर शर्मा सहित ग्रामीणक सहयोग तथा वार्ड पार्षदक देखरेख मे श्राद्धकर्म कायल जा रहल अछि। क्षेत्र मे पत्नी द्वारा पतिक श्राद्धकर्मक चर्चा जोर पकड़ने अछि।