परीक्षा केंद्र बदलेबाक लेल एमआइटी’क छात्रक हंगामा

    0
    319

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: एमआइटी’क परीक्षा केंद्र एलएस कॉलेजमे बनेबा सं तमसायल छात्र सब रविदिन जमिकय हंगामा केलनि। छात्र सब बैरिया, लक्ष्मी चौक व ब्रह्मापुरा चौकक नाकेबंदी कय देलक। 11 घंटा तक सड़ककें जाम कएल गेल। सूचना के बाद डीएसपी व एसडीओ पूर्वी, पुलिस बलक संग पहुंच स्थितिकें नियंत्रित केलनि। देर राति करीब साढे आठ बजे एसडीओ पश्चिमीकें आश्वासन पर जाम खत्म कएल गेल।

    छात्र शनिदिन कॉलेज परिसरमे प्राचार्यक घेराव सेहो केने छल। प्रशासनिक अधिकारी सेहो पहुँचल, मुदा केंद्र परिवर्तनक सवाल पर कोनो फैसला नहि भेल। अहि सं आक्रोशित छात्र 9 बजे सड़क पर उतरि गेल। लक्ष्मी चौकक निकट बैरिया दिस सं आबि रहल सरकारी बसकें रोकल गेल। सड़कके बीचों-बीच बस ठाढ़ कय चक्काक हवा निकालल गेल।

    दुपहर धरि समस्याक समाधान नहि भेला पर छात्र लक्ष्मी चौक पर धरना पर बैसि गेल। प्राचार्य डॉ.जेएन झा छात्र सँ बातचीत केलनि। हुनका आर्यभट्ट विविकें वस्तुस्थिति सं अवगत कराओल गेल। कुलपति अहि मामलामे फैसला लेताह। मुदा, छात्र जाम हटेबाक लेल तैयार नहि भेल छल।