नोटबंदी के खिलाफ पटना मे धरना देतीह बंगालक मुख्यमंत्री

    0
    237

    पटना, मिथिला मिरर: देश भरि मे जारी नोटबंदी’क खिलाफ पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री बिहार मे धरना देतीह। सूत्रक अनुसार पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री राजधानी पटना के गर्दनीबाग स्थित धरना स्थल पर 30 नवंबर क धरना देतीह। जानकारी के अनुसार नोटबंदी के विरोध मे 30 नवंबर क पटना मे होबय वला अहि धरना मे ममता सहित 200 लोक शामिल हेताह।

    दरअसल ममता बनर्जी अप्पन आंदोलन मे सब विपक्षी नेता आ दल के संग अनबाक रणनीति बना रहलीह, मुदा ज्ञात हो कि बिहार के मुख्यमंत्री अहि नोटबंदी के खुलि क समर्थन कय रहलाह।

    सूत्रक अनुसार अहि धारणाक लेल राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद स सेहो बात कायल गेल अछि, संगहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं बात करबाक प्रयास कायल जा रहल अछि।

    ममता के ई धरना हुनकर नोटबंदीक खिलाफ ओहि अभियानक हिस्सा अछि, जाहि के तहत ओ बुधदिन दिल्ली के जंतर-मंतर पर धरना देलनि। ममता शुरूये स सरकारक नोटबंदी के फैसलक विरोध कय रहलीह।