शराबक नशामे जूताक माला पहिरने सुशासन बाबूक अनुशासित पुलिसकर्मी

    0
    352

    दिल्ली-मिथिला मिररः जी हां, एक दिस सुशासन बाबू अर्थात बिहारक मुख्यमंत्री माननीय नीतीश कुमार शराबबंदी पर अपन पीठ कें स्वयं ठोकवाक कार्य कऽ रहल रहल छथि त दोसर दिस कखनो हुनका पार्टी वर्तमान एमएलसीक घर सं शराब भेट जाइत अछि त कखनो गठबंधन आ हुनकर पार्टीक वर्तमान आ पूर्व विधायक सरेआम शराब पीबि सुशासन बाबूक मुंह दुसवाक कार्य करैत छथि।
    एखन टटका जे मामला सामने आएल अछि ओ अछि कटिहार जिलाक फलका थाना क्षेत्रक अछि। जाहिठाम उक्त थानाक थानाध्यक्ष सुशासन बाबूक सुशासनक पाठ कें बिसैर एकटा स्त्रीगण संग जबरदस्ती करवाक कोशिश केलाह। एकरा बाद कि छल स्थानीय जनता इ बिसैर गेल जे इ माननीय सुशासन बाबूक सुशासन व्यवस्थाक सिपाही छथि।
    स्थानीय लोकसब सुशानक दूत कें बंधक बना जे भेटल ओहि सं पिटनाई शुरू केलक। बादमे भीड़ पुलिस बाबूकें जूताकें माला पहिरा हुनका सम्मानित केलक। घटनाक बाद जिलाक पुलिस कप्तान ओहिठाम पहुंचला आ तुरंत प्रभाव सं पुलिस बाबूकें निलंबित कए देल गेल मुदा आब इ देखब दिलचस्प हैत कि सुशासन बाबू अहि पर कोन तरहक डेग उठबैत छथि। एक दिस आम जनताक लेल कानून डर देखाओल जाइत अछि आ दोसर दिस मंत्री, विधायक, विधान पाषर्द सहित पुलिसकर्मी सरेराह सुशासन कें मखौल बना रहला अछि।