नीतीश कुमार आ भाजपाकें एक हेबाक सलाह देलनि बाहुबली विधायक अनंत सिंह

    0
    255

    पटना, मिथिला मिरर: जेलमे बंद बाहुबली विधायक अनंत सिंह एकटा बड पैघ बयान देलनि अछि। अनंत सिंह मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें सलाह देलनि जे, ओ महागठबंधन’क संग छोड़ि कय भाजपा सं मिलि जाए। ओ कहलनि जे, महागठबंधनक सरकारमे बिहारक विकास प्रभावित भए रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, बिहारमे महागठबंधनक सरकार विकासक कोनो काज नहि कय रहल अछि। पूर्ण रूप सं व्यवस्था चरमरा गेल अछि। एेहेनमे  नीतीश कुमारकें बिहारक समुचित विकासक लेल बीजेपी सं मिलिकय बात करबाक चाही आ बिहारक लेल एक संग एबाक चाही।