बीडीओकें मांग पत्र सौपलक जाले प्रखंड’क मुखिया संघ

    0
    266

    दरभंगा, मियोथिल मिरर-:निशांत झा: जाले प्रखंड मुखिया महासंघकें एकटा शिष्टमंडल बृहस्पति दिन मुखिया महासंघक अध्यक्ष राघवेन्द्र प्रसादक अध्यक्षतामे बीडीओ रागिनी साहू सं भेंट कए प्रधानमंत्री आवास योजनामे आवास सहायक द्वारा कएल जा रहल मनमानीक जमिकय विरोध केलनि।

    संघ अवास सहायककें दोसर पंचायतमे तवादला करबाक मांग सेहो केलनि। महासंघक आरोप अछि जे, पूर्व मुखियाक समय सं पंचायतमे पदस्थापित आवास सहायककें बीचौलिया सं सम्पर्क केलनि। जाहि कारण नागरीककें नाहक खर्चक वहन करय पड़ैत अछि। ओतहि प्रखंड मुख्यालय परिसर स्थित जनप्रतिनिधीक लेल तैयार प्रतिनिधि भवन अन्य उपयोगमे लेल जा रहल अछि। जाहि कारण महिला जनप्रतिनिधीक फजीहत होइत अछि।

    अहिकें अलावा सब पंचायतमे अलग-अलग किसान सलाहकार, कर्मचारी आ पंचायत सचिवक नियुक्तिक माँग संबंधी स्मारपत्र शिष्टमंडल बीडीओकें सौपलनि। मौका पर मुखिया महेश प्रसाद, श्यामा कुमार सिंह सुमन, आलिया प्रवीण, ममता देवी, कुमकुम सिन्हा, जालो देवी, उपेन्द्र महतो, मिथिलेश प्रसाद, अनिल राम सहित विभिन्न पंचायतक मुखिया मौजूद छल।