दरभंगा के सुधा मिल्क पार्लर मे भेटैत छल शराब, दुकानदार गिरफ्तार

    0
    264

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार मे शराबबंदी के लेल सरकारक तमाम कानून के बावजूद शराब माफिया अलग-अलग तरीका ढूढ़ी कय शराब बेचि रहल अछि। दरभंगा के सोनकी सहायक थाना स महज 10 कदम के दूरी पर सुधा मिल्क पार्लर मे आसानी स शराब बेचल जा रहल छल।

    बुधदिन देर राति सोनकी सहायक थाना के अहि बातक भनक लागल त पुलिस छापामारी कय रंगे हाथ पांच बोतल अंग्रेजी शारब रॉयल स्टैग के संग संतोष यादव के गिरफ्तार केलक। पुलिस के अनुसार पकड़ल गगेल युवक दुकानकर्मी अछि। मगर जाहि शख्स के नाम पर ज्योति इंटर प्राइजेज नाम स ई सुधा मिल्क पार्लर अछि ओ मेक्ना मध्य विद्यालय मे सरकारी शिक्षक अछि।

    फिलहाल ओ पुलिसक पकड़ि स बाहर अछि। गिरफ्तार सन्तोष यादव कहलक जे, बुधदिन कियो दुकान मे शराबक बोतल राखि गेल छल, जे पुलिस बरामद केलक अछि।