‘त्रिमुर्ति बस’ सेवा के दरभंगा सं पटना मुफ्त मे चलेबाक फैसला केलनि मुरारी मोहन

    0
    613

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: केंद्र सरकार द्वारा 1000 आ 500 के नोट बंद करबाक फैसलाक बाद लोक के भय रहल समस्या आई ककरो सं नुकायल नहीं अछि। बावजूद एकर लोक भोर सं राति धरि बैंकक आगू कतारबद्ध भय 5-8 घंटा रुपैया निकासिक लेल ठाढ़ रहैत अछि। अहि समस्याक निदानक लेल भाजपाक वरिष्ठ नेता डॉ. मुरारी मोहन झा दरभंगा सं पटना धरि मुफ्त बस सेबा देबाक निर्णय लेलनि अछि, ताकि लोक पटना जा आसानी सं रुपैया निकासी कय सकती।

    सूत्रक अनुसार लोक के 500 आ 1000 के नोट के बदलबा मे भय रहल परेशानी के देखैत भाजपा के वरिष्ठ नेता डाँ मुरारी मोहन झा दिनांक 15-11-16 मंगलदिन भोर मे 8 बजे लहेरियासराय पेट्रोल पंप सं अप्पन ‘त्रिमुर्ति बस’ पटना’क लेल मुफ्त मे चलेबाक निर्णय लेलनि अछि।