राष्ट्रपति पदक लेल कांग्रेसक पहिल पसंद नीतीश कुमार

    0
    287

    दिल्ली, मिथिला मिरर: नीतीश कुमारकें जेडीयू प्रधानमंत्री पदक दावेदार बतबैत रहल अछि मुदा कांग्रेसकें अहि पर एतराज जगजाहिर अछि। ओ राहुल गांधीके छोड़ि अहि पदक दावेदार ककरो नहि बुझैत अछि। मुदा आब कांग्रेस नेता विपक्षक दिस सं नीतीश कुमारकें राष्ट्रपतिक सब सं उपयुक्त उम्मीदवार बता रहल अछि।

    जदयू आ राजद नीतीशके राष्ट्रपति उम्मीदवारी पर नहि करैत अछि, मुदा एनडीएके नेता कहि रहल अछि जे, नीतीशक लेल पीएम आ राष्ट्रपतिक पद खाली नहि अछि। विपक्षी दलकें एकजुट करबाक लेल हालहिमे नीतीश कुमार सोनिया गांधी सं भेंट केने छलाह। अहिकेँ बाद नीतीश कुमारक राष्ट्रपति पदकें उम्मीदवारक चर्चा होबए लागल अछि।

    एकटा समाचार पत्र केसी त्यागीक हवाला सं खबर सेहो छपने छल, हालांकि बादमे केसी त्यागी अहि खबरिकें खंडन केलनि मुदा अब कांग्रेस नीतीश कुमारकें राष्ट्रपतिक लेल उपयुक्त उम्मीदवार बता रहल अछि। कांग्रेस विधान पार्षद आ सदनमे मुख्य सचेतक दिलीप चौधरी कहलनि जे, यदि नीतीश कुमारक नाम राष्ट्रपति पदक लेल अबैत अछि त ओ विपक्षक सब सं उपयुक्त उम्मीदवार रहताह।

    राष्ट्रपतिक चुनाव जुलाईमे होबए वला अछि, एहेनमे आब विपक्ष एकजुट होईत अछि या नहि ई देखब दिलचस्प होएत।