मधुबनी व्यापार मेलामे जुटि रहल भारी भीड़’क कारने मेला 7 मार्च धरि विस्तारित

    0
    255

    मधुबनी, मिथिला मिरर: स्थानीय टाउन क्ल्ब मैदानमे रेशम बुनकर खादी ग्रामोद्योग संघ द्वारा 9 फरवरी सं शुरु भेल राष्ट्रीय व्यापार मेलामे भारी भीड़कें देखैत 7 मार्च तक विस्तारित कय देल गेल अछि। महिनाक मध्यमे एकर आयोजन भेला सं तथा इंटरमीडियटकें परीक्षा रहबाक कारने शुरुआती दिनमे लोकक आवाजाही कम रहल। मेला समाप्तिके निर्धारित तिथि 21 फरवरी सं चारि दिन पहिने लोकक भीड़ मेलामे पहुंचय लागल। स्थानीय लोक मेलाकें होली तक चलेबाक मांग केने छल।

    लोकक कहब अछि जे, मार्चक पहिल सप्ताहमे वेतन भेटि जाएत आ परीक्षा सेहो समाप्त भय जाएत जाहि सं होलीक पूर्व खरीदारी भय सकैत अछि। अहि कारण संस्था द्वारा मेलाकें विस्तारित कएल जा रहल अछि। अहिके लेल एसडीओ एवं नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी सं अनुमति भेटि गेल अछि।

    मेलाक जनसंपर्क अधिकारी ऋषिराज सिंह व कार्यक्रम समन्वयक शब्बीर अहमद कहलनि जे, लकी ड्रा’क आयोजन सात मार्च कय रात्रि आठ बजे कएल जाएत जाहिमे आब पांचकें बदले आठ पुरस्कार देल जाएत। ओ मेलामे मधुबनीवासी’क महती भागीदारीक लेल आभार व्यक्त केलनि।