सेविकाकें सिखाओल गेल कुपोषण सं बचावक उपाय

    0
    252

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: प्रखंड कार्यालय परिसरमे आगंनबाड़ी सेविकाकें एक दिवसीय कुंजी’क प्रशिक्षण देल गेल। प्रशिक्षण प्रखंड प्रबंधक विजय सिंह देलनि। अहि दौरान सेविकाकें कुपोषण सं बचावक तरीका बताया गेल। संगहि छह महिनाक बाद शिशुकें उपरी आहारक महत्वकें समझाओल गेल।

    अहि दौरान प्रशिक्षक कहलनि जे, सही समय पर बच्चाकें सही आहार देल गेल त कुपोषण सं बचाओल जा सकैत अछि। बच्चाकें समुचित विकास होयत। अहिकें अलावा मोबाइल कुंजीमे बनल व्यवहारिक ज्ञान आहार श्रृंखला समेत तमाम बातकें विस्तार सं बताओल गेल। मौका पर जोनल कोडिनेटर मिन्टू कुमार, एलएस कंचन कुमारी, इन्दु सुमन समेत तमाम सेविका उपस्थिति छलीह।