सीतामढ़ीमे हत्याराकें गिरफ्तारी’क मांगक लेल मशाल जुलूस निकालल गेल

    0
    340

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: छोट सं उमरमे अपन प्रतिभाक बदौलत प्रसिद्धि प्राप्त कए चुकल विपाशा’क हत्या पर जिलामे आक्रोश व्याप्त अछि। हत्या’क 9 दिन बादो हत्याराक गिरफ्तारी नहि कएल गेला पर आक्रोशित यादव विचार मंचके बैनर तर मशाल जूलूस निकालि कय विरोध जतेलक अछि। नगर स्थित गांधी मैदान सं निकालल गेल मशाल जूलूस शहरमे विभिन्न चौक चौराहा होईत कारगिल चौक पहुंचल। जतय एकटा सभामे तब्दील भए गेल।

    वक्ता सब कहलनि जे, 2 मार्च कए विपाशाक हत्या कएल गेल छल। हत्याक लय प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल। हत्याराक नाम तक बताओल गेल मुदा पुलिस एखन धरि हत्याराकें गिरफ्तार नहि केलक अछि। जाहि सं ई साबित होइत अछि जे, पुलिस सेहो हत्यारा सं मिल अछि। जा धरि हत्याराक गिरफ्तार नहि कएल जाएत ता धरि संघर्ष जारी रहत।

    मौका पर मुन्ना सिंह यादव, शिवशंकर यादव, विजय यादव, माधव यादव, हरि यादव, प्रशांत यादव, दिनेश यादव, कन्हैया यादव, ओम प्रकाश यादव, मनीष यादव, सूरज यादव, कुंदन यादव, नवीन यादव, रौशन कुमार, अरुण यादव, शानी यादव, विक्की यादव, पिंटू यादव, रामजी यादव, रजनीश कुमार यादव, मनोज यादव आदि अप्पन विचार व्यक्त केलनि।