अड़ेरमे 16 वर्षीय किशोरक हत्याक बाद आँखि निकालल गेल

    0
    448

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला सं सटल अडेर थाना क्षेत्रक नगवास पंचायतक नवटोली गाममे एकटा किशोरक अमानवीय तरिका सं गला दबा कए हत्या कए देल गेल, हत्याक बादो जहन हत्याराक मोन नहि भरल त किशोरक एकटा आँखि निकालि लेलक। हत्याक बाद किशोरक लहास नवटोली आ करहिक बीच सड़क पर कल्वर्ट पाइपमे फेंक देने छल।

    घटनाक बाद पहुँचल डीएसपी निर्मला कुमारी, पुलिस निरीक्षक प्रवीण कुमार मिश्र तथा अडेर थानाध्यक्ष किशोर कुणाल झा लहासकें पोस्टमार्टमक लेल मधुबनी सदर अस्पताल पठा घटनाक जाँच कए रहल छथि।

    सूत्रक अनुसार 17 अप्रैल कए रातिमे 16 वर्षीय किशोर राकेश गामक चौक पर प्रोजेक्टर पर सिनेमा देखबाक लेल घर सं निकलल छल, मुदा अगिला दिन भोर धरि नहि आएल। बादमे परिजन द्वारा खोजबीन शुरू कएल गेल मुदा राकेशक कतहु पता नहि चलल। बादमे पाइपमे लहास भेटबाक खबरि सं समुच्चा गाम सन्न रहि गेल।