ट्रैक्टर आ मोटरसाइकिल के टक्कर मे एक गोटेक मौत दू घायल

    0
    268

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहारक भागलपुर जिलाक सुल्तानगंज थाना क्षेत्र मे तिलकपुर गामक समीप राष्ट्रीय राजमार्ग 80 पर ट्रैक्टर आ मोटरसाइकिल के बीच टक्कर मे एक गोटेक मौत भय गेल, तथा दू गोते घायल भय गेल।

    बताओल जा रहल अछि जे, थाना क्षेत्रक अठगांवा गांम निवासी कारू मंडल (22) अप्पन दू टा संगी के संग सुल्तानगंज बाजार जा रहल छल। तखने विपरीत दिशा सं आबि रहल ट्रैक्टर के टक्कर मारला सं कारूक मौके पर मौत भय गेल। लहास के पोस्टमार्टमक लेल पठा देल गेल अछि।