दरभंगा मे कांग्रेस नेताक गोली मारि कय हत्या

    0
    371

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा मे हत्याक दौर थम्हबाक नाम नहि लय रहल अछि। दरभंगा मे अपराधी बेख़ौफ़ अछि आ प्रशाशन शिथिल। शुक्रदिन राति 10 बजे कुशेश्वरस्थान पूर्वी प्रखंड के केवटगामा पंचायत के मुखिया एवं कांग्रेस नेता रामचंद्र यादवक अपराधी गोली मारि कय हत्या कय देलक।

    बताओल जा रहल अछि जे, रामचंद्र यादव बीडीओ राकेश रौशनक अध्यक्षता वला मुख्यमंत्री गली-गली पक्कीकरण योजनाक भेल बैसक मे भाग लय अप्पन गाम केवटगामा पंचायत के पछियार जा रहल छलाह। अहि क्रम मे पश्चिम कब्रगाह के समीप घात लगाकय बैसाल अज्ञात अपराधी गोली चला देला कय मुखियाक हत्या कय देलक। हत्याक कारणक एखन धरि पता नहि चलल अछि।

    दरभंगा जिलाक कांग्रेस कमिटीक मुखियाक हत्या पर संवेदना प्रकट करैत वरीय पुलिस अधीक्षक सं हत्याक तुरंत जांच कय अपराधी के पकड़बाक मांग केलनि अछि।