छात्र के पीटबा पर शिक्षक के पेट्रोल छिटि कय जरेलक

    0
    289

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: स्कूल नहि एबा पर छात्र के पीटनाई एकटा शिक्षकक लेल भाड़ी पड़ि गेल। छात्रक पिटाई स आक्रोशित परिजन रति मे सुतल मे शिक्षक के शरीर पर पेट्रोल छिड़की कय आगि लगा देलक। जाहि सं शिक्षक 80 प्रतिशत जरि गेल अछि। परिजन गंभीर हालत मे शिक्षक के शुक्रदिन एसकेएमसीएच मे भरती करौलक, जतय शिक्षक के हालात के देखैत डॉक्टर पीएमसीएच रेफर कय देलक अछि। सूचना पर पहुंचल पुलिस मामला के जांच कय रहल अछि।

    बताओल जा रहल अछि जे, सीतामढ़ी के मेजरगंज निवासी राममूर्ति प्रसादक पुत्र केशव कुमार (25) अप्पन गाम मे एकटा निजी स्कूल चलबैत अछि। स्कूल मे चौथी कक्षा मे पढ़नेवला छात्र आशीष कुमार पांच-छह दिन सं स्कूल नहि आबि रहल छल। स्कूल संचालक अहि बातक जानकारी छात्रक परिजन के देलक। अहि पर छात्रक मां संचालक के कहलनि जे, हम्मर बच्चा पढ़ाई मे ध्यान नहि डाइट अछि। ओ दोस्तक संग गोली खेलैत अछि।

    एसकेएमसीएच मे घायल केशव कुमार के अनुसार बृहस्पति दिन स्कूल जेबाक घडी मे छात्र आशीष के गोली खेलैत देखि कय हम ओकरा तीन डंडा मारहु। जाहि के बाद बच्चाक परिजन हमरा संग एहेन हरकत केलनि।