बाढ़ि शिविर मे होमियोपैथ डॉक्टर दय रहल छथि एलोपैथिक दबाई

    0
    333
    पीड़ित के लेल जे मेडिकल कैंप लगाओल जेल अछि ताहि मे एलोपैथ दबाई होमियोपैथ के डॉक्टर द्वारा जाँच के बाद देल जा रहल अछि। राघोपुर के तेरसिया आ सरायपुर पंचायत के बाढ़ि पीड़ित के लेल तेरसिया के समीप एनएच 77 पर राहत शिविर लगाओल गेल अछि।
    कैम्प मे मौजूद होम्योपैथ डा. अजित आराम स अंग्रेजी दवाई लिखि रहल छथि। जहन कोनो डॉक्टर के दबाई के जानकारी नहि त दबाई कोना लिखि सकैत अछि। शिविर मे एहेन तरहक व्यवस्था सँ बाढ़ि पीड़ित के अधिक परेशानीक सामना करय पड़ि सकैत छन्हि।

    सूत्रक अनुसार जहन डॉक्टर सं पूछल गेल कि होम्योपैथ के डॉक्टर भय क अंग्रेजी दवाई कोना लिखि रहल छी? तहन ओ मुस्कुराईत जबाब देलनि बाढ़ि एहेन इमरजेंसी मे ई सब चलैत अछि। डॉक्टर सं जहन पुछल गेल कि अहाँ के दबाई के जानकारी अछि? त ओ रोगक विषय मे बात करय लगलाह।

    डॉक्टर सं जहन कहल गेल कि गलत दवाई किनको जान लय लेत, त ओ कहलनि सेट्रीजीन नामक दवाई  देय क एम्बुलेंस स सदर अस्पताल भेज देबै। जहन पुछल गेल कि अहाँ लोकक जिनगी सं खिलवाड़ किया कय रहल छियै ? त डॉक्टर कहलनि जे, हम किछु नहि कय सकैत छी, हमरा स्वास्थ्य विभाग स चिट्ठी भेटल आ हम चलि एलहुँ।