गृहरक्षक अभ्यर्थी देलक समाहरणालयकें समक्ष धरना

    0
    278

    सुपौल, मिथिला मिरर: गृहरक्षकक वर्षो सं बहाली नहि भेलाक कारने अभ्यर्थीक सब्रक बान्ह टूटि रहल अछि। अहिक नतीजा अछि जे, अभ्यर्थी आंदोलनक राह पकड़ी लेलक अछि। आंदोलनक शुरुआती कड़ीमे अभ्यर्थी जतय सोमदिन समाहरणालय पर धरना देलक ओतहि बृहस्पति दिन उक्त जगह धरना पर बैसल।

    धरना उपरांत अभ्यर्थीक एकटा शिष्टमंडल जिला पदाधिकारी सं भेंट कय ज्ञापन देलक। धरना पर बैसल अभ्यर्थीक कहब छल जे, शारीरिक दक्षता जांचक तिथि प्रकाशित करबाक लेल बहुतो बेर जिला पदाधिकारी सं आग्रह कय रहल छी मुदा सब बेर झूठ आश्वासन। जहन कि बिहारक लगभग सब जिलामे बहाली भय चुकल अछि।

    एहेन आवेदन केरय वला अभ्यर्थिक उम्र निकलल जा रहल अछि। जा धरि बहाली नहि होयत ता धरि हम सब आंदोलन जारी राखब।