एसएसबी’क कमांडर पढ़ौलनि बच्चा सब के नैतिकता’क पाठ

    0
    276

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: लालबंदी एसएसबी कैंपक कंपनी कमांडर संतोष कुमार मंगलदिन छात्र के सब के नैतिकता व देशभक्तिक पाठ पढ़ौलनि। प्रखंडक राजपूत चौक मुजौलिया स्थित किड्स जोन पब्लिक स्कूल मे कमांडर दोसर, तेसर आ छठम वर्गक छात्र प्रेरित केलनि आ संगहि विज्ञान व सामान्य ज्ञानक शिक्षा देलनि।

    हुनका द्वारा क्लास लेबा सं छात्र सेहो काफी उत्साहित छल। अहि दौरान ओ बच्चा के प्रतिभाक कायल भय गेलाह। ओ विद्यालय के प्राचार्य नवीन कुमार सिंह’क सराहना करैत कहलनि जे, अहि पिछड़ल व ग्रामीण इलाका मे शिक्षाक क्षेत्र मे देबय वला योगदान काबिले तारीफ अछि। प्राचार्य बच्चा के अप्पन कीमती समय देबाक लेल कंपनी कमांडर के साधुवाद देलनि।

    बच्चा सब कमांडर सं विद्यालय मे दुबारा एबाक आग्रह केलनि। मौका पर वरीय शिक्षक सुशील सिंह,भिखारी साह, विकास कुमार, अनिल कुमार यादव, हुलास साह आदि मौजूद छल।