मधुबनी मे 600 बोतल शराबक संग छह गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    260

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार मे शराबबंदीक बावजूद अहि पर पूर्ण रुपे लगाम नहि लागि सकल अछि।लदनीया थाना क्षेत्र मे 600 बोतल देसी शराबक संग छह गोट तस्कर गिरफ्तार कायल गेल अछि। पुलिस के अनुसार कामेपटटी चौक सं शराबक बरामदगी कायल गेल अछि।

    पकड़ल गेल तस्कर मे चारि टा युवक नेपालक सिरहा जिलाक रहय वला अछि। जहन कि दू टा युवक जयनगर थानाक कमलावाड़ी निवासी अमर कुमार यादव आ पप्पू कुमार यादव अछि। अहि सब के खिलाफ मामला दर्ज कय जांच शुरू कय देल गेल अछि। तस्कर लग सं तीन टा मोटरसाइकिल बरामद कायल गेल अछि।

    बिहार मे लगातार शराबबंदीक बाद सं मधुबनी मे पड़ोसी राज्यक अलावा नेपाल सं भारी मात्रा मे शराबक तस्करी कायल जा रहल अछि। अलग-अलग जगह सं शराब आनि कय बेचय वला एखनहु सुधरबाक नाम नहि लय रहल अछि।