दिल्लीमे सामूहिक दुष्कर्मक मामलामे मुजफ्फरपुर सं दू गोटे गिरफ्तार

    0
    277

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्लीमे 13 सालक नाबालिग छात्राक संग सामूहिक दुष्कर्मक दू गोट आरोपी मुजफ्फरपुरमे गिरफ्तार कएल गेल। आकाश आ शिवम नामक दुनू आरोपीकें गिरफ्तारी ब्रम्हपुरा थाना इलाका सं कएल गेल अछि। थानाक विश्वकर्मा मंदिर चौकक निवासी आकाश आ शिवम पर दिल्लीकें शकरपुर थानामे 13 सालक छात्राक संग सामूहिक दुष्कर्म आ पॉक्सो एक्टके तहत प्राथमिकी दर्ज अछि। दुनू आरोपी दिल्लीमे किरायाक मकानमे रहि कए पढाई करैत छल।

    बीतल 3 मई कए एकटा अन्य संगीक संग मिलिकए छात्राक संग दुष्कर्म केलक आ दिल्ली सं मुजफ्फरपुर भागि गेल। मुदा मोबाइल लोकेशनक आधार पर दिल्ली पुलिस ब्रम्हपुरा थानाक सहयोग सं दुनूकें गिरफ्तार कए लेलक।

    दिल्ली पुलिसक पदाधिकारी अरविंद कुमार अहि संबंधमे मीडियाकें कोनो तरहक जानकारी दबा सं मना कए देलनि अछि।