अंग्रेजी विभागक नव चयनित 15 गोट शिक्षककें पदभार

    0
    326
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बीपीएससी द्वारा यचनित 15 सहायक प्राध्यापककें शनिदिन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयकें कुलपति प्रो. सुरेन्द्र कुमार सिंह नियुक्ति पत्र प्रदान केलनि। शिक्षा विभागक दिस सं पठाओल गेल सूचीकें स्वीकार करैत कुलपति अंग्रेजी विभागक 15 गोट शिक्षककें पदस्थापन केलनि।
     
    अहिकेँ तहत डॉ. चित्रा झाकें एमएलएस कॉलेज सरसोपाही मधुबनी मिसेज सोम्याकें आरएन कॉलेज पंडौल, शम्भवीकें केएस कॉलेज लेहेरियासराय, तानिमा कुमारीकें यूआर कॉलेज रोसरा, संकित कुमार झाकें एमआरएस कॉलेज त्रिमुहान चंदौना, बिन्दुनाथ झाकें जे. के. कॉलेज बिरौल, मिथुन दत्ताकें डीबी कॉलेज जयनगर, शिवानुर रहमानकें एपीएसएम कॉलेज बरौनी, सुब्रत कुमार दासकें भीएसके कॉलेज राजनगर, प्रतिभा पटेलकें आरबी कॉलेज दलसिंहसराय, जिंदगी कुमारीकें आरएनएआर कॉलेज समस्तीपुर, कुमार वैभवकें डीएम कॉलेज रहिका, योगेश्वर साहकें सीएमजे कॉलेज दोनवारी हाट, डॉ. लक्ष्मण यादवकें जीएमआरजी कॉलेज मोहनपुर आ संगीत रंजन नटवरकें जेएम कॉलेज नेहरामे पदस्थापित। कुलपतिक आदेशक बाद कुलसचिव मुस्तफा कमाल अंसारी अहि आशयकें अधिसूचना जारी केलनि।