लोहना पाठशालामे लोक कलाकारक बैसार

    0
    426
    मिथिला मिरर: शनिदिन लोहना पाठशाला परिसरमे लोककलाकारक बैसार डा. सतीरमणझाक अध्यक्षतामे कएल गेल। जाहिमे कटिहारसॅ आएल मुख्य अतिथि सुकुमार सिंह झा लोककलाकार लोकनिक एकटा पञ्चीकृत संगठन बनेबाक हेतु भारत सरकार सॅ जोगार तकनीकी पर बल देलनि। एहि हेतु एकटा प्रस्ताव पारित क अधिकाधिक कलाकारके जुटेबाक प्रयास कएल जाए आ मुखिया अशोक कुमार साहु आ अमल कुमार झाकेॅ एकरा हेतु अधिकृत कएल गेल। अन्तर्राष्ट्रीय व्यापार संगठन ओ यूनेस्को क्लबसॅ जुड़ल मधुबनीक कल्पना सिंह जनतब देलनि जे मिथिला पेन्टिगक विश्व स्तरीय व्यापार सॅ जोड़बाक लेल पञ्जीयनक आवश्यकता छैक।
     
    लोहनाक नूतन झा अपन उत्कृष्ट कलाकृतिक प्रदर्शन कए कलाकारके स्वावलंबी बनबाक लेल प्रोत्साहित कएलनि। पाहीक शैलजा मिश्रा एपलिकक विभिन्न आकर्षक रूप बनेबाक विधिसॅ सखी लोकनिकेॅ परिचय दियौलनि। महिला प्रतिभागीमे अरुणा मिश्र, शारदा देवी, लता झा ,ममता ठाकुर, अनुराधा झा आदि मिथिला पेन्टिड़्ग आ कटाई सिलाईक द्वारा जीविकोपार्जनमे उचित मूल्यक अभाव देखौलनि।
     
    सरौताक कलाकृति लए घुरन ठाकुर प्रशंसनीय रहलाह। सिक्कीक कलाकृतिक प्रदर्शन जशुमनजीक देखि स्थानीय कलाकारकें प्रोत्साहनक चर्चा भेल। सौरभ नाथ झाक चित्रकारी जीवन्तताक प्रमाण मानल गेल। अपन अध्यक्षीय भाषण मे डा. सतीरमणझा लोककलाकारक समुचित सहयोग आ सम्मान लेल समाजक विशेष दायित्व ओ संगठनक आवश्यकता देखबैत मैथिल महिलाक योगदानक विस्तार सॅ चर्चा कएलनि।