नौवीं’क छात्र रचेलक 11वीं’क छात्रा संग विवाह

    0
    278

    सुपौल, मिथिला मिरर: बिहारक सुपौल जिला के हरदी पंचायतक अजान टोल मे एकटा नौवींक छात्र आ 11वीं के छात्रा स्कूल ड्रेस मे विवाह कय लेलक। विकास नामक लड़का के सरस्वती नामक अपना स दू क्लास अधिक मे पढ़य बाली लड़की स प्यार भय गेल। लड़की के परिजन जहन दूनू के घर मे असगरे देखलक त पहिने छात्र के रस्सी स बान्हि कय पिटलक आ तकरा बाद पंचायत बजा क दुनू के विवाह करा देलक।

    अहि बात स नाराज विकासक पिता संजय मंडल सदर थाना मे लिखित शिकायत दर्ज कय बेटाक अपहरण के आरोप संग रंगदारी मंगबाक आरोप लगौलनि। सूत्रक अनुसार नाबालिग विकास आ सरस्वती के बीच मे पिछला 3 महीना स प्यार-मोहब्बतक बात चलि रहल छल।

    सूत्रक अनुसार शुक्रदिन जहन सरस्वती के परिजन दूनू के संग देखलनि त विकास के बान्हि कय खूब पिटलनि मुदा तकरा बाद लड़की सामने आबि कय जहर खा जान देबाक प्रयास केलनि। जाहि के बाद बुलाओल गेल पंचायत ई फैसला सुनेलक।