छापेमारी के दौरान 22 गोट अवैध क्रशर मशीन ध्वस्त केलक पुलिस

    0
    248

    रोहतास, मिथिला मिरर: बिहार के रोहतास जिजा मे पुलिस बुधदिन अवैध पाथर खनन के खिलाफ छापामारी अभियान चलौलक। अहि दौरान पुलिस 22 सं अधिक अवैध स्टोन क्रशर मिल के ध्वस्त कय देलक। छापेमारी के दौरान आगि लागि जेबाक कारने क्रशर मिल जरी कय खाक भय गेल। रोहतास के एसपी मानवजीत सिंह ढिल्लो के नेतृत्व मे ई कार्रवाई कायल गेल छल।

    जानकारी के अनुसार डिहरी के गोपी बिगहा खनन इलाका मे ई अभियान लगातार चलि रहल अछि। गौरतलब अछि जे, हरेक महीना पुलिस अवैध खनन के खिलाफ कार्रवाई करैत अछि, मुईद परिणाम फिसड्डी निकलैत अछि।

    एसपी मानवजीत सिंह ढिल्लो के अनुसार ई अभियान आगू सेहो चलैत रहत। पुलिसक अहि कार्रवाई के दौरान कोनो भी शख्स के गिरफ्तारी संभव नहि भय सकल अछि।