खाद-बीजक दोकान मे स्वीकार हो 1000, 500’क पुरान नोट

    0
    282

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: ग्रामीण इलाका मे नोटबंदी लोक के बड्ड पैघ मुसीबत मे दय देलक अछि। ओतय खेबा-पीबाक सामान खरीदबाक लेल रुपैया कम पड़ि रहल अछि। एकर बाद सब सं पैघ चिंता खेती-बारीक अछि। रबी फसलक बुआई के समय भेल नोटबंदीक कारण खोतक जुताई स लय क खाद-बीजक खरीद तक मे दिक्कत आबि रहल अछि। खाद-बीजक दोकान पर पुरान नोट स्वीकार नहि होइत अछि। जाहि सं खेती मे विलंबक आशंका अछि।

    डुमरा प्रखंडक भवप्रसाद गामक लोक नोटबंदीक कारण परेशान छथि। खेत जुताई के लायक भय गेल अछि। मुदा रुपैयाक अभाव मे जुताई नहि होइत अछि। बहुतो ठाम धानक कटनी प्रभावित भय रहल अछि।

    किसान नंदकिशोर राय के अनुसार खेत जुताईक लेल तैयारी अछि, मुदा ट्रैक्टर वाला खेत नहि जोइत रहल अछि। ओ पांच सौ व एक हजार रुपैयाक पुरान नोट नहि लय रहल अछि। अहि के कारने बहुत परेशानी भय रहल अछि। खेती मे विलंब हेबाक आशंका उत्पन्न भय गेल अछि। मोहन मांझी कहै छथि जे, खाद-बीजक दोकान सं वापस आबि गेलौ मुदा पुराण मोटेक कारण खाद बीज नहि भेटल। सरकार के खाद बीज के दोकान पर सेहो अहि नोट के लेबाक आदेश देबाक चाही।