बिहार’क 264 गोट इंस्पेक्टर के होयत पदोन्नति

    0
    287

    पटना, मिथिला मिरर: बहुत इंतज़ारक बाद बिहार लोक सेवा आयोग मे पुलिस निरीक्षक पद स डीएसपी पद पर पदोन्नतिक लेल स्वीकृति दय देल गेल। बिहारक विभिन्न जिला मे तैनात 264 इंस्पेक्टर आब जल्दिये डीएसपी बनि जेताह। गृह विभागक अधिसूचनाक बाद तमाम पुलिस पदाधिकारी के नियुक्ति बिहारक जिला मे होयत। बिहार लोक सेवा आयोग 264 पदो पर डीएसपी स्तर के पदाधिकारी के पदोन्नति के हरी झंडी दय देलक।

    1984, 85, 89 बैचक अधिकारी के प्रमोशन देल जायत। राजधानी पटना के बहुतो थानेदार आ पुलिस मुख्यालय मे पदस्थापित इंस्पेक्टर रैंक के अधिकारी के डीएसपी’क पद पर पदोन्नति दय देल गेल अछि। गृह विभाग अधिसूचना जारी करबाक लेल तैयारी कय रहल अछि। गृह विभाग स अधिसूचना जारी हेबाक बाद पुलिस मुख्यालय तनाव पदाधिकारी के नियुक्ति डीएसपी’क पद पर होयत।

    पटना मे पदस्थापित मृत्युंजय कुमार सिंह, बी के सिंह चौहान, के डी सिंह, विजय कुमार, वसीम उल हक, मुकुल मोहन शर्मा, रामप्रवेश राय, निसार अहमद सहित बहुतो अधिकारी डीएसपी’क पद पर स्थानांतरित कायल जेताह।