अंधराठाढ़ी मे ट्रैक्टर मे फंसला सं युवक’क मौत

    0
    268

    अंधराठाढ़ी, मिथिला मिरर: अंधराठाढ़ी थाना क्षेत्रक गीदरगंज गाम मे बृहस्पति दिन ट्रैक्टर के रोटावेटर मे फंसिकय एकटा युवकक मौत भय गेल। मृतकक पहिचान हरना गाम निवासी 35 वर्षीय जहांगीर के रूप मे कायल गेल अछि। स्थानीय थाना पुलिस मृतकक लाश के कब्जा मे लय पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक अछि। जानकारी के अनुसार जहांगीर बृहस्पति दिन गीदरगंज गामक मो. कारी के ओतय ट्रैक्टर खरीद करबाक लेल आयल छल। जहन ओ गाम पहुँचल त ट्रैक्टर लय क अब्दुल हई नामक चालक खेत जुताई कय रहल छल।

    मृतक जहांगीर पाछु सं रोटावेटर पर पैर राखि क ट्रैक्टर पर चढ़बाक प्रयाश केलक। अचानक संतुलन बिगड़बाक कारने ओ खसि पड़ल जाहि सं माँथ रोटावेटर मे फंसि क कटा गेल। जाहि सं घटना स्थल पर जहांगीर के मौत भय गेल। एम्हर, घटना के बाद ट्रैक्टर चालक अब्दुल हई मौका स फरार भय गेल। बाद मे ग्रामीण काफी मशक्कत के बाद लाश के रोटावेटर स बाहर निकाललक।