एनडीए मे सीट बँटवारा पर मचल घमासान, लोजपा कएलक 36 सीट पर दावा!

0
735

दिल्ली/पटना, मिथिला मिरर : बिहार आब चुनावी मिजाज मे रंगल जा रहल अछि। प्रदेश मे दूटा प्रमुख गठबंधन अछि। जहाँ एक दिस महागठबंधन मे कोहराम मचल अछि ओतहि एनडीए मे सेहो घमासान देखना जा रहल अछि। जदयू आ लोजपाक तकरार किनको सँ छुपल नहि अछि। मुदा पैछला तीन दिन सँ सुलह केँ आसार देखना जाइत छल। लेकिन आई फेर सियासी पारा अचानक गर्म भ’ गेल। बिहार मे 143 सीट पर चुनाव लड़य जा रहल लोक जनशक्ति पार्टी अचानक 36 सीट केँ माँग कएलक अछि।

दरअसल लोजपाक प्रमुख नेता मे सँ एक सूरजभान कहलनि अछि जे हुनक पार्टी एनडीए गठबंधन सँ 36 सीटक माँग कएलक अछि। एतबे नहि चेताबनी दैत कहलाह जे जँ एहि सँ बेसी गला दबाओल जायत त’ एकर परिणाम बेसी खतरनाक होयत। हालाँकि हुनक बयान पर पार्टी के दिस सँ खंडन कएल गेल अछि जे हुनक बयान निजी छनि। पार्टी अपन स्टैंड बाद मे बताओत।

एतबे नहि सूरजभान सीटक बंटवारा लेल फार्मूला तक पेश क’ देलनि। आ कहलनि जे फिलहाल 123 सीट पर भाजपा आ जदयू केँ सिटिंग विधायक अछि। बाँकी बचल 120 सीट मे सँ 20 सीट लोजपा अपन पसंद सँ लेत। बाद बचल सीट मे सँ 16टा आओर सीट लोजपा केँ देल जाय।

दोसर दिस सूरजभान केँ भाई आ लोकजनशक्ति पार्टीक सांसद चंदन सिंह बयान दैत कहलाह अछि जे पार्टी केँ 143 सीट पर चुनाव लडबाक चाही। लोजपाक नेता-कार्यकर्ता सभ एहि लेल  तैयार अछि। हालांकि आखिरी फैसला चिराग पासवान लेताह आ पार्टी केँ नेता हुनक फैसला मानत। बतादी जे तीन दिन पूर्व चिराग पासवान गृहमंत्री अमित शाह सँ भेँट केने छलाह आ ओही दिन पार्टी सभ सांसद संग दिल्ली मे बैसार सेहो केने छल। अखनि धरि एनडीए मे सीट बंटबारा केँ ल’ कोनो अंतिम फैसला नहि लेल गेल अछि।