स्कूलक बच्चासँ भरल बस पलटल

0
711

समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर जिलाक मथुरापुर सहायक थाना क्षेत्र अंतर्गत सोमदिन राइतमे स्कूली बच्चासँ भरल बस अचानक पलटि गेल। जाही कारण 40सँ बेसी बच्चा घायल भ’ गेल। घायल बच्चामे सँ 10टा बच्चाक हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि। पुलिसकेँ मुताबिक खानपुर प्रखंडक उत्क्रमित उच्च विद्यालय, भानपुरकेँ नौवीं आ दसवीं कक्षाके 70सँ बेसी बच्चा-बचिया, स्कूलक प्रधानाध्यापक समेत आठटा शिक्षकक टीम एकटा बससँ नालंदा आ राजगीरक परिभ्रमण क’ वापस लौट रहल छल। एहि क्रममे नागर गांवकेँ नजदीक बस परसँ चालकक नियंत्रण हटि गेल आ बस सड़कक कात वला गढ्ढामे अनियंत्रित भ’ पलटि गेल।

पुलिस अधिकारी बतौलनी जे एहि दुर्घटनामे करीब 40टा बच्चा घायल भ’ गेल छथि जिनका सभकेँ स्थानीय लोकक मददसँ अस्पताल पहुँचायल गेल अछि। पुलिस उपाधीक्षक प्रीतीश कुमारकेँ मुताबिक सभ घायल बच्चाकेँ समस्तीपुर सदर अस्पताल आ किछु बच्चाकेँ स्थानीय निजी अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि। घायल बच्चा सभमे 10टा केँ हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि। घटनाक बाद बस चालक फरार भ’ गेल, जेकरा पकड़य लेल पुलिस लगातार छापेमारी क’ रहल अछि बताया।

एहनमे सवाल उठैत अछि जे स्कूल प्रशासन बिना टूर कंपनीकेँ सघन इन्क्वायरी केने बिना बस कोना किराया पर लेलनि। की बसमे खलासी नै छल, ड्राईवरकेँ पास ड्राइविंग लाइसेंस नै छल। जँ छल त’ ओकर छायाप्रति प्रिंसिपलकेँ पास किएक नै छल। की बस ओवर स्पीडमे चलि रहल छल आ की टूर कंपनी संग स्कूल प्रशसनकेँ मिली भगत अछि। आखिर एहि हादसाकेँ जिम्मेवार के?