आब फाइटर प्लेन उड़ेती मैथिलानी ‘भावना कंठ’

    0
    423

    दिल्ली,मिथिला मिरर-सुनीत ठाकुरः ओना त पैछला किछु दिन सं मिथिला-मैथिलीक उपस्थिति लगातार विश्व जनमानसक बीच बढि़ रहल अछि मुदा अहि दिशा मे मैथिलानी अपना-आप कें एक डेग आओर मजबूत केलीह अछि। अंतरराष्ट्रीय महिला दिवस-2016 मिथिला मैथिलीक लेल बहुत बेसी अहम रहल। कारण भारतीय वायु सेनाक इतिहास मे इ पहिल बेर होमय जा रहल अछि जे कोनो स्त्री फाइटर प्लेन उड़वैत नजैर औतीह। महिला दिवसक अवसर पर वायु सेना अध्यक्ष एयर चीफ मार्शल अरूप राहा अहि बात कें घोषणा कैलनि जे आब भारतीय वायु सेना लड़ाकू विमान के महिला पायलट सेहो उड़ा सकैत छथि।
    अहि कड़ीमे तीन गोट महिला पायलटक चुनाव पहिल चरणमे भेल जिनकर नाम अहि प्रकारेण छन्हि। अवनी चतुर्वेदी, मोहना सिंह आ भावना कंठ, इहै तीनू चेहरा अपने लोकन्हि कें अगिला 18 जून सं लड़ाकू विमान उड़वैत नजैर औतीह। एखन अहि तीनू गोटे प्रशिक्षण हैदराबाद मे चलि रहल छन्हि। अपने कें बता दी जे हिनका लोकनिक प्रशिक्षण एतेक गुप्त रूप सं देल जा रहल छल जाहि कारणें हिनका लोकनिक परिवार तक कें इ बातक जानकारी सेहो नहि छलन्हि। अवनी चतुर्वेदी मध्य प्रदेशक रीवा कें रहय वाली छथि त मोहना सिंह गुजरातक बड़ोदार सं छथि जखन कि भावना कांत बिहारक मिथिला क्षेत्रक महत्वपूर्ण जिला आ रामधारी सिंह दिनकरक धरती बेगूसराय सं छथि।
    नहि सिर्फ भारतक लेल अपितु संपूर्ण मिथिला सहित इ बिहारक जन-जनक लेल बहुत पैघ खबैर अछि। हालांकि सेना मे महिला अहि सं पहिने हेलीकाॅप्टर आ चार्टर्ड प्लेन त चलवैत आबि रहल छथि मुदा फाइटर प्लेन मे सेहोन महिलाक भागीदारी हो अहि पर सेहो बसह बहुत दिन सं चलैत छल। एतबे नहि एयर चीफ मार्शल अरूप राहा त एक डेग आगू बढ़ैत इ तक कहि देलाह जे जौं युद्धक समय आओत त इ जांबाज महिला पायलट दुश्मन घरमे पैस बमक बरखा कय वापस एतीह। 18 जूनक बाद अपने सब सहज रूप सं अहि तीनू गोटे कें मिग-20, मिराज, जगुआर आ सुखोइ-30 कें पायलटक रूपमे देखि अपन नैन तिरपित कय सकैत छी। तीनू महिला पायलट कें हार्दिक बधाई आ भावना कांत कें सूपर्ण मिथिलावासीक माथ गौरव सं उपर करवाक लेल कोटि सह बधाई।