बिहार अंडर-19 टीम मे दरभंगा आ सहरसा’क खिलाड़िक चयन

    0
    442

    दरभंगा, मिथिला मिरर: विभिन्न क्षेत्र मे अप्पन लोहा मनाबय बला मैथिल संतान आब राष्ट्रीय स्तर क्रिकेट मे सेहो परचम लहरेबाक लेल तैयार छथि। बताओल जा रहल अछि जे,  बीसीसीआई के असोसिएट क्रिकेट टूर्नामेंट के लेल बिहार अंडर-19 टीम मे दरभंगा आ सहरसा के खिलाड़ीक चयन कायल गेल अछि।

    सूत्रक अनुसार बेंगलुरू मे 15 सितंबर स आयोजित बीसीसीआई के एसोसिएट क्रिकेट टूर्नामेंट मे बिहार अंडर 19 टीम मे दरभंगा के त्रिपुरारी केशव के चयन भेल अछि। त्रिपुरारीक पैतृक आवास मोरो मे अछि, जहन कि वर्तमान मे ओ बहादुरपुर प्रखंड के खराजपुर पंचायत के बरहेता चैतन्य पथ वृंदावनधाम मे रहैत अछि।

    ओतहि दोसर दिस मार्च 2016 मे बिहार क्रिकेट ऐसोसिएशन द्वारा अंशु सिंहक चयन अंडर 19 बिहार टीम मे कायल गेल। आगामी पंद्रह सितंबर क बिहार अप्पन पहिल मैच खेलत।