अपराधी बेलगाम, दरभंगा मे प्रोपर्टी डीलर के मारलक गोली

    0
    263

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार मे अपराध अहि तरहे बढ़ि रहल अछि जे, कखन ककरा संगे कतय आपराधिक घटना घटि जाय तकर कोनो ठेकान नहि। हाल फ़िलहाल मे बिहार मे अधिकतर कारोबारी के निशाना बनाओल जा रहल अछि।

    ताजा घटना दरभंगा के अछि, जतय एकटा प्रोपर्टी डीलर के गोली मारबाक घटना प्रकाश मे आयल अछि।बताओल जा रहल अछि जे, घटना के बाद प्रोपर्टी डीलर के डीएमसीएच मे भर्ती कराओल गेल अछि। उम्हर एसएसपी सेहो घटना के पुष्टि केलनि।

    ज्ञात हो कि किछु दिन पहिनहि सेहो दरभंगा मे राईस मिलक मालिक सहित अन्य कारोबारी के सेहो अपराधी गोलीक शिकार बनौलक अछि।