मधुबनी मे शराब पीबि कय उत्पात मचा रहल चारि गोट युवक गिरफ्तार

    0
    256

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बुधदिन राति चारि टा युवक नशा मे धूत नगर पंचायत के वार्ड न. 5 के समीप उत्पात मचाबैत काफी हंगामा केलक। झंझारपुर थाना पुलिस ओहि राति मे चारु युवक के गिरफ्तार कय अनुमंडलीय अस्पताल लय जा मेडिकल जांच करौलक।

    थानाध्यक्ष राम चन्द्र मंडल के अनुसार मेडिकल जांच मे चारु युवक शराब के नशा मे पाओल गेल अछि। नाश के की हालत मे रहबाक कारने चारु युवक के उत्पाद अधिनियम के हवाले कय देल गेल।

    पकड़ल गेल युवक पर कार्रवाई कायल जा रहल अछि। चारु युवक नगर पंचायत वार्ड 12 के बताओल जा रहल अछि। जाहि मे बेचन कुजरा के पुत्र मो. जाकिर उर्फ बौका, कन्हौली निवासी कैलु साह के पुत्र दिनेश साह, प्रमोद झा के पुत्र कुन्दन कुमार झा, तथा बलियार निवासी विमल कुमार कर्ण के पुत्र ईश्वर नारायण कर्ण शामिल अछि।