छैठ घाटक सफाई के लेल दरभंगा मे सड़क जाम

    0
    482

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शहर के मौलागंज मेन रोड के मुहल्लावासी बुधदिन भोर मे बांस आ बल्ला सं सड़क जाम कय देलक। स्थानीय निवासी के कहब छल जे, शहर मे छैठ पर्वक लेय तालाब आ पोखरि के सफाई नगर निगम द्वारा नहि कराओल जा रहल अछि। जाहि के लेल छैठ पर्व करय वला लोक सब मे चिंता व्याप्त अछि।

    स्थानीय लोक सब छैठ पर्वक लेल पोखरि मे जमल गंदगीक सफाई के मांग बहुत दिन सं कय रहल अछि। मुदा नगर निगम सं कोनो ठोस कदम नहि उठाओल गेल, जाहि के लेल स्थानीय निवासी सड़क जाम कय निगम के प्रति अप्पन विरोध जता रहल छलाह। ओतहि सड़क जाम सं शहर मे ट्रैफिक व्यवस्था पूर्ण रुपे ध्वस्त भय गेल।