कुची-पहसौलक पुल क्षतिग्रस्त, आवागमन बाधित

    0
    278

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: कटरा प्रखंडक बकुची-पहसौल मार्गमे बसघटृा गामक समीप स्थित पुल क्षतिग्रस्त हेबा सं आवागमन बाधित भए गेल। जाहि सं बहुतो पंचायतक लेल ई सड़क अतिमहत्वपूर्ण अछि।

    ज्ञात हो कि बसघटृा स्थित ई पुल एकटा नहरि पर निर्मित अछि, जाहि पर प्रतिदिन दर्जनो वाहन चलैत अछि। पहसौल व्यापारिक केंद्र हेबा सं भारी वाहनक एनाई-जेनाई लागल रहैत अछि। लगभग 30 साल पुराना पुल जर्जर भए चुकल अछि।

    अहि बीच भारी वाहनक कारण पुलक स्लैब दरकि गेल अछि। कोनो समय पैघ हादसा सं इन्कार नहि कएल जा सकैत अछि। जनप्रतिनिधी सेहो अविलंब मरम्मत’क गुहार लगौलनि अछि। प्रमुख नूनू चौधरी अहिकें निर्माणक लेल पंचायत समितिक माध्यम सं प्रस्ताव देलनि अछि।