प्रभु भरोसे समस्तीपुर रेलवे स्टेशन’क सुरक्षा व्यवस्था

    0
    561

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: स्थानीय रेलवे जंक्शन आ प्लेटफॉर्म पर सुरक्षाक बुनियादी इंतजाम नहि अछि। यदि बात बिगड़ि जाए, कोनो तरहक वारदात भय जाए त ऐहेन हालत मे रेल पुलिसक डंडाक चोट सं कोनो तरह सुरक्षाक खानापूरी करय पड़ैत अछि। स्थानीय जंक्शन पर ड्यूटी के नाम पर महज खानापूरी कायल जा रहल अछि। रेलवे सुरक्षा बल के जवान द्वारा अधिकतम समय जंक्शन स गुजरय वला ट्रेनक सील चेकिंग मे गुजरैत अछि।

    सुरक्षा बलक कमी दिस वरीय अधिकारी ध्यान देनाय उचित नहि बुझैत अछि। जंक्शन पर लागल 17 सीसीटीवी कैमरा मे अधिकतर खराब अछि। यदि कोनो तरहक अप्रिय घटना होइत अछि त संदिग्ध के तकबा मे मुश्किल होयत। जहन कि आए दिन सुरक्षा व्यवस्थाक लय सवाल उठैत रहैत अछि। बावजूद अहि के रेलवे प्रशासन सबक नहि लैत अछि।

    पॉकेटमार, छिनतई करय वला गिरोह, चोर-उचक्का आ सड़क छाप मजनुक हरकत अक्सर होइते रहैत अछि। मुदा अहि सं निपटाराक लेल रेल पुलिस लग हथियार नहि अछि। डंडाक सहारे पुलिस पर यात्री सुरक्षाक जिम्मेदारी अछि।