शराबक अवैध खेल मे सेनाक जबान गिरफ्तार

    0
    349

    हाजीपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे जतय एक दिस शराबबंदी के लय क बहुतो मुद्दा बनि रहल अछि, ओतहि दोसर दिस पाबंदीक बावजूद शराबक अवैध उपयोग आ खरीद-बिक्री एखनहु लगातार जारी अछि। हाजीपुर स्टेशन पर अमरनाथ एक्सप्रेस ट्रेन के रुकिते तीन टा व्यक्ति के शराब संग पकड़ल गेल। पकड़ल गेल लोक मे एकटा सेनाक जबान सेहो शामिल अछि।

    जीआरपी अमरनाथ एक्सप्रेस ट्रेन मे छापेमारीक दौरान अहि तीनू के 54 बोतल शराबक संग गिरफ्तार केलनि। जीआरपी अध्यक्ष लक्ष्मण प्रसाद सिंह कहलनि जे, पकड़ल गेल लोक मे एकटा सेनाक जवान छथि। जे, फ़िलहाल पठानकोट मे तैनात छथि।

    जवान अवैध रूप स ट्रेन मे शराब लय क जा रहल छल। जकर सुचना जीआरपी के पहिनहि भेट चुकल छल। पुलिस गुप्त सूचनाक आधार पर कार्रवाई कय तीनू के गिरफ्तार केलक। पकड़ल गेल लोक स पूछ ताछ कायल जा रहल अछि।