बिहार मे नीतीशक काला कानून नहि चलय देब: पप्पू यादव

    0
    550

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे शराबबंदी पर नव कानून के लय क जाप के राष्ट्रिय अध्यक्ष राजेश रंजन उर्फ़ पप्पू यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर जमि कय हमला केलनि। पप्पू यादव कहलनि जे, नीतीश कुमार के आब गांधी जी मोन पड़ि रहल छथि। पप्पू यादव नीतीश पर आरोप लगबैत कहलनि जे, ओ कहि रहल छथि ‘गांधी स प्रभावित भय क शराबबंदी कानून लागू केलहु। मुदा हम पूछी छी जे, बापू आई फेर स त नहि जन्म लेलनि।

    पप्पू यादव नीतीश कुमार के घेरैत कहलनि जे, बिहार के जहिया शराबक नदी मे डूबा देल गेल छल तहियो बापूक बोल छल। ओ कहलनि जे, एकर मतलब नीतीश कुमार दस वर्ष धरि बापू के बेइज्‍जत करैत रहलाह।

    पप्पू यादव कहलनि जे हम नशा के विरोध मे पहिनहु छलहु आ एखनहु छी। शराब बंदी पर बनल कानूनक खिलाफ जाप संरक्षक पप्पू यादव जमि कय हमला करैत कहलनि जे, ई काला कानून बिहार मे नहि चलत।