मीसा, जेठमलानी, शरद, रामचंद्र आ गोपाल बिहारक कोटा सं ‘रास’ केर लेल निर्विरोध जितलथि

    0
    327

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारक कोटा सं जेडीयू सं पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव, रामचंद्र प्रसाद सिंह, राजद सं मीसा भारती, राम जेठमलानी आ बीजेपी सं गोपाल नारायण सिंह राज्य सभाक लेल निर्विरोध जीत दर्ज केलाह। 3 जून कऽ नामांकन लेवाक अंतिम दिन छल आ अहि दिन कोनो प्रतिद्वंदी नहि भेलाक कारणें हिनका लोकनिक जीत निर्विरोध भेल।
    अहि बातक जानकारी पहिने सं छल कि चुनाव करेवाक स्थिति नहि आवैय ताहि लेल एहन तरहक समीकरण बनाओल गेल छल। अहिना किछु परिणाम विधान परिषदक लेल सेहो देखवामे आबि रहल अछि। विधान परिषदक लेल जेडीयू सं गुलाम रूसूल बलियावी, सीपी सिन्हा, रणविजय सिंह, राजद कमर आलम, तनवीन अख्तार कांग्रेस सं आ विनोद नारायण झा आ अर्जुन सहनी बीजेपी सं निर्विरोध चुनल गेलाह।