जेएनयू मे मिथिला मंचक सदस्या संग भेल दुर्व्यवहार

    0
    298

    दिल्ली-मिथिला मिररः जे एन यू मिथिला मंच अप्पन मंचक सदस्या संग भेल बदसलूकी केर घटना कें कठोर शब्दमे निंदा करेत अछि आ आपात केर एहि घड़ीमे हुनकर संग ठाढ अछि. जेएनयू मे जारी गरम महौलक बीच जाहि तरहें मिथिला मंच केर एक सदस्या संगे हुनकर छात्रावासमे किछु उपद्रवी छात्रा द्वारा दुर्व्यवहार आ बदसलूकी कयल गेल, जाहि तरहें हुनकर सामान कें उठा कें बाहर फेंक देल गेल आ हुनकर बिछौना पर “रिजेक्ट ABVP” केर पर्ची साटल गेल, जे एन यू मिथिला मंच ओकर ठोस शब्दमे भर्त्सना करेत अछि.
    उक्त घटनाक बाद ओ छात्रा डर आ दह्शतक माहौलमे कुनू तरहें अप्पन दिन काटी रहल छथि, जे भी संगठन वा छात्रा केर समूह एहि घटना कें अंजाम देने छैक, ई ओकर सभक मानसिक दिवालियापनक परिचायक छैक. जता एक दिस ओ सभ अभिव्यक्तिक स्वतंत्रताक ढोंग रचेत छैक ओत्ते दोसर दिस दोसर विचारधारा केर पोषक छात्रा संग एहेन तरह कें बदसलूकी कयल जायत छैक.
    प्रथम वर्ष केर एहि छात्रा संग घटित एहि घटना केर बाद ओ एतबा बेसी व्यथित आ डरल छथि जे हुनका अप्पन छात्रावास जायमे डर लागि रहल छनि संगहि हुनकर माँ बाबूजी अप्पन पुत्रीक सुरक्षा लेल सेहो बड्ड चिंतित छथि.
    जे एन यू मिथिला मंच केर एकटा डेलिगेटक टीम काल्हि कोयना होस्टलक वार्डन सौं एहि घटना केर आलोकमे भेंट करत आ अप्पन ज्ञापन सौंपत आ वार्डन सौं एहि बात सुनिश्चित करबा लेल अनुरोध करत जे एहेन घटना भविष्यमे फेर सौं नैं भ सके. कुनू भी मैथिल संगे केम्पसमे घटित एहेन घटना कें स्वीकार नै कयल जायत. मिथिला मिरर कें अहि घटनाक जानकारी जेएनयू मिथिला मंचक उपाध्यक्ष भाष्कर ज्योति जनौलनि.