मधुबनी जिलाकें बाबूबरहीक आसपास आईएसआईएस कें संदिग्धक तलाशमे पुलिसः सूत्र

    0
    344

    दिल्ली-मिथिला मिररः वर्तमानमे विश्वक सब सं खतरनाक आतंकी संगठन ‘इस्लामिक स्टेट आॅफ इराक एंड सीरिया’ अर्थात आईएसआईएस मे भारतय युवककें मुंबई आ अन्य शहर सं जेवाक पुष्टि त पहिने भए चुकल अछि, मुदा वर्तमानमे बिहारक मधुबनी जिलाक बाबूबरही सं एकटा हैरान करैय वला खबैर सामने आबि रहल अछि। मिथिला मिररकें सूत्र सं भेटल जानकारीक मुताबिक बाबूबरहीक आसपासक इलाक मे स्थानीय पुलिस आ एसएसबीकें आईएसआईएस कें किछु संदिग्ध कें हेवाक सूचना भेटल। इ सूचना संदिग्धक फोन काॅल कें टैप केलाक बाद पुलिस तक पहुंचवाक दावा सूत्र कय रहला अछि।
    अहि सूचनाक बाद मधुबनी पुलिस आ एसएसबीक संयुक्त टीम लगातार बाबूबरही आ आसपासक गाममे गश्त पर अछि। 29 अक्टूबर कऽ मधुबनी पुलिसक वरीय अधिकारी सतघारा आ आसपासक गाममे गश्त लगवैत नजैर ऐलाह। हलांकि इ सिलसिला जारी अछि आ पुलिसक टीम 31 तारीख कें राइत मे सेहो सतघारा गाममे दू बेर गश्त पर पहुंचल छलाह। सूत्रक मानी त एखन धरि पुलिसक हाथ कोनो प्रकारक पुख्ता परिणाम नहि भेटल अछि आ लगातार संदिग्धक खोजबीन जारी अछि।
    हालांकि सूत्र इहो बता रहल अछि जे पुलिस स्थानीय जनताकें इ आगाह केने छल जे दीवाली कें राइत अपने सब कने जागल रहल आ जौं अपने लोकनि कें कोनो तरहक संदिग्ध गतिविधि देखना जाइ त ओहिकें सूचना तुरंत प्रशासन सं करब। लगातार पुलिस आ एसएसबी केर टीम संदिग्धकें तलाशीमे गाम दर गाम जा अपन टीमकें भेज रहला अछि, आ जखने अहि पर कोनो ठोस परिणाम भेटत, तखने मिथिला मिरर अहि खबैरकें अपने लोकनिक लेल आओर जानकारीक संग लऽ कऽ हाजिर हैत।
    हालांकि मिथिला मिररकें संपादक जखन अहि विषय पर मधुबनी एसपीकें फोन कए पूछलाह त ओ एहन तरहक कोनो सूचना हेवा सं साफ माना कऽ देलनि। सूत्र दाबा आ मधुबनीक एसपी इनकारमे कतेक सत्यता अछि एकर उत्तर कें लेल किछु समय आओर प्रतीक्षा करए पड़त।