लोक शिकायत निवारणमे देरी पर होएत कार्रवाई : जिलाधिकारी

    0
    256

    दरभंगा, मिथिला मिरर: जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह सुस्त आ लापरवाह अधिकारीकें फटकार लगबैत काजमे तेजी अनबाक हिदायत देलनि अछि। खासकय लोक शिकायत निवारण सं जुड़ल परिवादक मामलामे प्रतिवेदन दयमे लापरवाही करए वलाकें जमिकय क्लास लगौलनि। सोमदिन समाहरणालयकें सभागारमे जिलास्तरीय पदाधिकारीक बैसककें अध्यक्षता करैत जिलाधिकारी विभागवार काजक समीक्षा केलनि। अहि क्रममे जिला व अनुमंडल लोक शिकायत निवारण कार्यालयकें काजक समीक्षा कएल गेल।

    जिला लोक शिकायत निवारण पदाधिकारीकें अनुसार परिवाद पत्र पर सब लोक प्राधिकार सं अपेक्षित अनुपालन प्राप्त भए रहल अछि। लोक शिकायत निवारणके तहत मामलाक वास्तविक निष्पादनक लिखित रूपमे देबाक निर्देश देलनि।

    ओ लोक शिकायत निवारण कार्यालयमे प्राप्त परिवाद पत्र पर व्यक्तिगत रूप सं सब लोक प्राधिकारकें समुचित कार्रवाई करबाक कहलनि। सब विभागक प्रभारी पदाधिकारीक लोक शिकायत सं संबधित मामला पर सजग एवं संवदेनशील रहबाक हिदायत देलनि।