फेर भेल दिल्लीसँ बिहार जा रहल बस दुर्घटनाग्रस्त

0
2338

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : फेर एकबेर पैघ सड़क दुर्घटना भेल। भेटल जानकारीकेँ मुताबिक दिल्लीसँ बिहार जा रहल यात्री बस सड़क हादसाक शिकार भ’ गेल। एहि सड़क दुर्घटनामे 6 लोकनिक मृत्यु हेबाक खबरि अछि संगे दर्जनों लोकनिकेँ घायल हेबाक पुष्टी कएल गेल अछि। एहि घटनाकेँ बाद मौका पर अफरा तफरीक माहौल बनि गेल। ई भीषण सड़क हादसा लखनऊ एक्सप्रेस-वे पर भेल। बताओल जा रहल अछि जे ई सड़क हादसा उत्तर प्रदेशक उन्नावकेँ लग भेल। सभ घायल लोकनिकेँ ईलाज लखनऊ ट्रॉमा सेंटरमे चलि रहल अछि। स्थानीय लोकनिकेँ कहब छनि जे जखन बस अपन गतिमे छल आ एहि दौरान ओवर टेकिंग करबाक चक्करमे एहन भीषण हादसा भेल।  स्थानीय लोकक द्वारा घटनाकेँ सूचना पुलिसकेँ देल गेल। ओतहि एक्सप्रेस-वे प्रशासन सेहो मौका पर पहुँचल। स्थानीय लोक आ एक्सप्रेस-वे प्रशासनकेँ मददिसँ जख्मी लोक सभके बससँ बाहर निकालल गेल। संगही मृतक लोकनिक लहाशकेँ सेहो पोस्टमार्टम लेल पुलिस लखनऊ ट्रामा सेंटर भेज देलक। घायल आ मृतककेँ शिनाख्त क’ हुनक परिवारकेँ सूचित कएल जा रहल अछि।

बतादी जे जतेक बस दिल्लीसँ बिहार जाइत अछि कोनो बसमे स्पीड गवर्नर नै लागल अछि। स्पीड गवर्नर लगलाकेँ बाद बसक स्पीड मात्र 60 किमी/घंटा भ’ जायत, जाहिसँ एहि तरहक घटनाकेँ रोकल जा सकैत अछि। ई सरेआम सुप्रीम कोर्टक आदेशक अवहेलना अछि। हकीकत त’ ई अछि जे एहन ज्यादातर बस मॉडिफाइड अछि नै की एअर स्पेनसर। एतबे नहि इ बस 100-120 किमी/ घंटाकेँ रफ्तारसँ चलैत अछि। 18-20 घंटामे दिल्लीसँ बिहार पहुँचबाक होड़मे ज्यादातर बस स्पीडमे चलैत अछि। एतबे नहीं दूटा ड्राईवरकेँ बदला एकेटा ड्राईवर लगातार 18-20 घंटा बस चलाबैत छथि। जाहि कारण हुनका लोकनिकेँ सेहो आराम नै भेट पबैत अछि। ओ त’ 2-3 जगह लाइन होटल पर बस रुकैत अछि जाहिसँ हुनका किछु काल लेल आराम भेट जाइत छनि। बेसी घटना ड्राइवरकेँ आँखिक झपकी लगलासँ वा हाई स्पीडकेँ कारण होइत अछि। एहनमे बस ऑपरेटरकेँ चाही की मोटर वाहन अधिनियमकेँ तहत कानूनकेँ हिसाबसँ स्टाफ राखथि, संगे स्पीड नियंत्रण यंत्र अपना गाड़ीमे जरूर लगबैथ। किएक त’ कोनो मानवकेँ मूल्य नै लगाओल जा सकैत अछि।