इंटर टॉपर मामला: उच्च न्यायालय देलक राज्य सरकार के केस डायरी पेश करबाक निर्देश

    0
    263

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक बहुचर्चित टॉपर्स घोटालाक मुख्य आरोपी अमित कुमार उर्फ बच्चा राय’क जमानत याचिका पर पटना उच्च न्यायालय सुनवाई करैत राज्य सरकार के केस डायरी प्रस्तुत करबाक निर्देश देलक अछि। बच्चा राय’क जमानत याचिका पर न्यायमूर्ति वीरेन्द्र कुमारक एकलपीठ सुनवाई केलक। गौरतलब अछि जे, बच्चा राय टापर्स घोटालाक मुख्य आरोपी मे एक अछि।

    अहि मामला मे बोर्डक पूर्व अध्यक्ष लालकेश्वर प्रसाद सिंह, हुनकर पत्नी ऊषा सिंह, पूर्व सचिव हरिहरनाथ झा समेत बनाहूतो अन्य आरोपी अछि। बच्चा राय के विरुद्ध कोतवाली थाना मे 06 जून 2016 कय एफआईआर दर्ज कराओल गेल छल आ 21 जून 2016 सं ओ जेल मे छथि। केस डायरी एलाक बाद अहि मामला पर फेर सुनवाई होयत।