राजदक पोस्टर सँ लालू भेलाह निपत्ता, तेजस्वीमय भेल पार्टी, जदयूक तंज- कूड़ाघर मे फेकलनि तेजस्वी

0
563

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे सियासी पारा चढ़ल जा रहल अछि। लगैत अछि  विधानसभा चुनाव सँ पहिने राजद पूर्ण तरहेँ तेजस्वीमय भ’ चुकल अछि। लालू आ हुनक विचारधारा पर चलय वला राजद आब तेजस्वीक विचारधारा पर आगू बढ़ी रहल अछि। पटनाक विभिन्न चौक चौराहा पर लागल पोस्टर त’ किछु एहने कहि रहल अछि। राजद केँ पोस्टर सँ लालू निपत्ता भ’ चुकल छथि। सांकेतिक रुपें कोनो-कोनो पोस्टर मे लालूक फोटो ओहो धुंधला सँ देल गेल अछि। यानि पोस्टर वॉर मे लालू गायब भेल जा रहल अछि। यानि लालू छैथो आ नहियो।

राजदक पोस्टर मे लालू केँ जगह आब तेजस्वीक पैघ फोटो लगाओल जा रहल अछि। पोस्टर चाहे राजद कार्यालय मे लागल होइ वा राबड़ी आवासक सामने, सभ मे तेजस्वीक चेहरा पैघ देखाओल गेल अछि। मतलब साफ अछि जे राजद आब तेजस्वी यूग मे आबि चुकल अछि। बतादी जे पहिने पोस्टर लगैत छल ओहि मे लालू राबड़ीक फोटो पैघ होइत छल। एक दिस लालू त’ दोसर दिस राबड़ी देवीक फोटो लगैत छल।

राजद मे तेजस्वीक बढैत कद आ पोस्टर पर राजद प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी कहलनि अछि जे राजद लालू यादव केँ छनि आ हुनके रहत। राजदक विचारधारा लालू यादवक विचारधारा थिक। पोस्टर सँ की होइत अछि। राजदक हर कार्यकर्ता आ बिहारक 12 करोड़ जनता लालू यादव केँ विचारधारा आ हुनक पद चिह्न पर चलि रहल अछि आ हुनके विचारधारा पर काज कएल जा रहल अछि। तेजस्वी भावी मुख्यमंत्री छथि तैं हुनके पोस्टर लगाओल जा रहल अछि। एहि सँ विरोधी दलक पेट मे दर्द किएक भ’ रहल अछि जानि नै। अखनि धरि लालू सँ निपटी नहि पाओल आब तेजस्वी सँ सेहो डेराइत छथि।

ओतहि राजद केँ पोस्टर पर जदयू तंज कसलक अछि। पार्टी प्रवक्ता संजय सिंह कहलनि अछि जे यैह राजदक चालि, चरित्र आ चेहरा अछि। जाहि तरहें अखिलेश मुलायम केँ किनारा लगा देलनि ओहिना तेजस्वी लालू के ठिकाना लगा चुकल अछि। आब तेजस्वी अपन ब्रांडिंग क’ रहलाह अछि। जाहि पिताक कारण तेजस्वी राजनीति मे अयलाह आब हुनके बिसरि गेलाह। श्रेष्ठ केँ अनादर करब पार्टीक सिद्धांत अछि। ई कोनो नव बात नहि।